(एकमात्र संकल्‍प ध्‍यान मे-मिथिला राज्‍य हो संविधान मे) अप्पन गाम घरक ढंग ,अप्पन रहन - सहन के संग,अप्पन गाम घर में अपनेक सब के स्वागत अछि!अपन गाम -अपन घर अप्पन ज्ञान आ अप्पन संस्कारक सँग किछु कहबाक एकटा छोटछिन प्रयास अछि! हरेक मिथिला वाशी ईहा कहैत अछि... छी मैथिल मिथिला करे शंतान, जत्य रही ओ छी मिथिले धाम, याद रखु बस अप्पन गाम ,अप्पन मान " जय मैथिल जय मिथिला धाम" "स्वर्ग सं सुन्दर अपन गाम" E-mail: madankumarthakur@gmail.com mo-9312460150

शनिवार, 27 मार्च 2010

सत्यानास संग- लग्न



सत्यानास संग- लग्न

अमंगल गुटखा खाद्य्म धुम्रपान अमंगल सर्बब्य्संम
कराग्रे बसती बीडी करमध्य चुरतम,
करमूले श्थितो गुटखा प्रभाते कर दर्शनं


दुर्भाग्वती बीड़ी , कुमारी उर्फ़ सिकरेट देवी
कुपुत्री - श्री तम्बाकू लाल जी ,
एवं श्री मति चिलम देवी ,
निवासी =+++ यमलोक ,
होउस - दुखनगर ,अंतिम इक्छा


संग

मृत्य आत्मा कैंसर कुमार उर्फ़ लाईलाज बाबु ,
कुपुत्र - गुटखा लाल जी एवं श्री मति भंग देवी ,
निवासी - गलत रास्ता ब्यबसनपुर (नसा परदेश)


के अशुभ विवाह तय भेल अछि अन्तह अहि भयानक प्रसंग पर --
काका - गाजा सिंह , काकी- अफीम देवी , बाबा- हुकाराम ,मैया -सुल्फी देवी ,
मामा -चरस राम , मामी - सारवी देवी ,नाना - चाय सिंह , नानी कोफ्फी देवी ,
ताऊ -चुना राम ,फूफ्फा - जर्दा राम ,सन ईहन खास बुजुर्ग सबहक़ उपस्थित में ,
नब दम्पत्ती के अभिशाप करैक हेतु अहाँ सब
सादर आमंत्रित छि ,--------

विवाह समय - अनिशचितकाल
विवाह स्थल -समसान घाट मैरिज होम --
चिन्त्ता भवन ,कष्ट मोहल्ला ,दुर्गात्ति गल्ली ,
दुःख नगर , जिला - परलोक पुर
राज्य - अंतिम धाम पिन -००००००

गुरुवार, 25 मार्च 2010

खतरनाक विवाह



खतरनाक विवाह में अपनेक सब आमंत्रण जुनी होयब -----

हमर आशा और अभिलाषा अछि -----

अमंगल विवाह

रविवार, 21 मार्च 2010

स्टार प्लस पर आइ सं सुपरस्टार का जलवा

स्टार प्लस चैनल पर आइ सं "स्टार सिंटा सुपरस्टार का जलवा" नामक कार्यक्रम शुरु भ रहल अछि। ई कार्यक्रम प्रत्येक रविकए राति ९ बजे देख सकब । सिनेमा आ टीवी आर्सिस्ट एसोसिएशन (सिंटा)के स्वर्णजयंती पर बनल एहि कार्यक्रम द्वारा अनुदानस्वरुप सिंटा के सदस्य सभ कें चिकित्सा सेवा, रिहर्सल हॉल्स, प्रिव्यू थियेटर्स इत्यादि लोक-कल्याणकारी सुविधा उपलब्ध करा कए ओकर सभहक व्यक्तिगत आर पेशेवर जीवन कें बेहतर बनाएबाक प्रयास कएल जएतैक। ई शो छह सप्ताह तक चलत आ एहि मे भारतीय सिनेमा कें स्वर्णिम वर्षक झलक फ्लैशबैक में पेश कएल जाएत। कार्यक्रम मे वयोवृद्ध व्यक्तित्व सं ल कए नव खाढी धरिक कलाकारक अभूतपूर्व उपस्थिति देखबाक अवसर भेटत। बच्चन,खान आ कपूर बंधु तं रहबे करताह,आमिर खान सेहो अओताह जे पछिला दस बरख मे टीवी पर हुनक पहिल उपस्थिति हएत। कुल मिलाकए, ई शो हिंदी सिनेमा के बीचक संबंध कें अटूट बनाओत । शो शुरू होमए सं पूर्व,एक समारोह में सलमान खान, सोहैल खान आर मिथुन चक्रवर्ती उपस्थित भेल छलाह । ओहि अवसर पर सलमान खान कहलनि जे ई कार्यक्रम एक नेक काज कें प्रोत्साहित करबाक लेल छैकक जे प्रशंसनीय अछि। एहि शो में अमिताभ बच्चन, आमिर खान, शाहरुख ख़ान, अक्षय कुमार, सलमान खान आदि के शामिल हेबाक संभावना अछि। ठीक एही तरहक एकटा शो "लिफ्ट करा दे" फिलहाल सोनी चैनल पर चलि रहल अछि जे खूब लोकप्रिय भेल अछि।
फिल्म संबंधी आओरो रूचिगर सूचनाक लेल देखूः www.filmcrossword.blogspot.com

शनिवार, 20 मार्च 2010

लोकप्रिय मैथिली MP3 गीत डाउनलोड करू

गीतक लिंक निचा देल अछि!

  • लोकप्रिय मैथिली भगवती गीत!डाउनलोड (ZipFile), (Folder)

  • लोकप्रिय मैथिली शिव भजन!डाउनलोड (ZipFile), (Folder)

  • छठी मैया - शारदा सिन्हा!डाउनलोड (ZipFile), (Folder)

  • लोकप्रिय मैथिली विवाह गीत!डाउनलोड (ZipFile), (Folder)

  • लोकप्रिय मैथिली होली गीत!डाउनलोड (ZipFile), (Folder)

  • मैथिली चहटगर गीत - Vol - Iडाउनलोड (ZipFile), (Folder)

  • मैथिली चहटगर गीत - Vol - IIडाउनलोड (ZipFile), (Folder)

  • मैथिली चहटगर गीत - Vol - IIIडाउनलोड (ZipFile), (Folder)

  • मैथिली लोकप्रिय गीत - मिथिला में रफी!डाउनलोड (ZipFile), (Folder)

बुधवार, 10 मार्च 2010

सत्या नास केलक बीमारी - मदन कुमार ठाकुर

(हम आइ एक महिना सँ हॉस्पिटल मे बेड रेस्ट यानी बीमार आवस्था मे छी ! जाहि सँ कतेक फोन, कतेक ई-मेल, कतेको फरमाईस, कतेको मज़बूरी, कतेको तगेदा, कतेको उदासी, कतेको घबराहट, आ बहुतो आर्थिक स्थिति आय हमरा सामने आइब गेल अछि ! जकर उदाहरण हम अपन गाम घर (मैथिली ब्लॉग) पर लs के पाठक गनक समक्ष हाजिर छी !)

यमराजक याद आ संदेश .....
हमरा बीमार अवस्था मे यमराजक संदेश सेहो बुझै मे आबैत छल ! किएकी पुरा एक महिना बिमारी के भs गेल छल ! बिमारी छूटए के नाम नञि लैत छल लागैत छल जे कही अहि बिमारीक कारण हम हुनकर सिकार नञि भs जाय ! यदि एहेंन नौबत आयत तँ हमर घर संसार सभ चौपट भस जायत ! ई बात सोचि - सोचि के हम आर बेसी बिमार पड़ि जाइत छलहुँ !

कम्पनीक तरफ सँ फोन ....
हमरा बिमार अबस्था मे कम्पनीक तरफ से सबसे बेसी फोन आबैत छल जे ... आप को केवल १५ दिन का छुट्टी मिला था ! मगर अब पुरे एक महिना से भी ज्यादा हो गया हैं ! अगर आप इस सप्ताह ड्युटी ज्वाइन नहीं करेगे तो आपको कम्पनी के निष्कासित कर दिया जायेगा .... ई बात फोन से सुइन सुइन के हम आर बेसी बिमार पैर जायत छलो !

बौवा आ बुच्चीक स्कुल सँ नोटिक .....
हमरा बिमार अबस्था मे बौवा आ बुच्चीक स्कुल सँ सेहो नोटिक आइब गेल छल, लिखल छल जे ... आपके लड़के और लड़की की स्कुल फिस और बस फिस पिछले महिने से जमा नहीं हुवा हैं ! जिसके चलते आप के दोनों बच्चो को स्कुल से निकाल दिया जायेगा ! अन्यथा फिस जमा करने का यथा शीघ्र कस्ट करे ... हमर बौवा आ बुच्ची आब कोना स्कुल में पढ़त लागैत अछि जे आब धिया - पुताक जीवन ख़राब भs जायत ई नोटिस पैढ़ - पैढ़ के हम आर बेसी बिमार पैर जायत छलो !

दोकानदार लालाक तगेदा......
हम बिमार अबस्था में (हॉस्पिटल) में रही ताहि समय मे दोकानदार लालाक सेहो तगेदा आबिगेल छल, ओ हमर अर्धांग्नी के कही गेलैन जे ... आपका बहीखाता का हिसाब पिछले महिना से ही बांकी हैं ! आप जब दोनों महीने के रुपैया जमा करायेगे तभी हम आगे से रासन का सामान दे पायेगे अन्यथा दुसरे दूकान दार से संपर्क करे ! ई समाद हमरा कान मे पहुंचल, सोच्लो आब तs हमर घर के चूल्हा सेहो कोना कs जरत ! ई समाद सुनी सुनी के हम आर बेसी बिमार पैर जायत छलो !

गाम - घरक चिठ्ठी आ फोन ....
हम बिमार अबस्था मे (हॉस्पिटल) में रही तान्ही समय मे गाम से सेहो चिठ्ठी आबी गेल छल जाही में लिखल अछि .... जे बोआ अहाँ त देखते आ सूनैते हेब टी।वी यही समाचार मे हे हर साल गाम घर में बैढ़ आबई छैक तहि से धान पान ही हेतै सगे घर सेहो खैस परल अछि यानी गाम मे सभ तरहे बेसाहे चलैत अछि ! बाबु आर माय भैया सभ अहि के आस लगेना बैसल छैथ ! जे दिल्ली सs बौआ कहिया पाई पठेता ! गाम घरक ई चिंता सुनी सुनी आ पैढ़ पैढ़ के हम आर बेसी बिमार पैर जायत छलो !

बैंक से फोन आ ईमेल ....
एतबे नै हमर बीमारीक अबस्था में कतेक बैंक से सेहो फोन आ ईमेल स information के देल गेल छल ! जे अभी तक आप के किसी भी क्रेडिट कार्ड का पेमेंट पिछले दो महीने से नहीं हुवा हैं ! जिस के चलते आप के क्रेडिट कार्ड को स्थाई रूप से बंद कर दिया जायेगा अन्यथा पेमेंट जारी रखे ! बार बार हम ई सोचैत छलो जे आगूक पेमेंट हॉस्पिटलक हम कोना के करब ! ई information पैढ़ पैढ़ के हम आर बेसी बिमार पैर जायत छलो !

LIC कम्पनिक तरफ से नोटिक .......
हमरा बिमारी अबस्था मे LIC के एजेंटक नोटिस सेहो आबिगेल छल कहैत छल जे ठाकुरजी आपके तीनो LIC का किस्त दो दो महिना से पिछे चल रहा हैं ! अगर आप को इस बिच (समय) में कुछ हो गया तो इस का जिम्मेवार LIC कम्पनी नहीं होगा ! अन्यथा तीनो पॉलिसी का पेमेंट जारी रखे ! आप का आभारी LIC एजेंट.... ई LIC के नोटिस देख देख आ सुनी सुनी के हम आर बेसी बिमार पैर जायत छलो ! जे हमरा मरलाक बाद हमर परिवारक की गति हेत !

गाम से पाई आबैत छल से भेल चोरी ....
गाम मे जखन सभ के धीरे धीरे पता चललैन जे बौआ एक महिना से हॉस्पिटल मे भरती अछि ! ओकर आर्थिक स्थिति बड ख़राब छैक, त बाबु अपन दुई बिघा खेत कs भरना लगे देलैथ ई सोइच के जे बौआ जखन ठिक भs जेत ते भरना खेत छोरे लेब ! से पाई लs के बाबु आ भैया आबैत छलैथ ! रस्ते में कुनू चोर ट्रेन में हुनकर बेग चोरे लेल्कैन ! ओताही से ओ दुनु आदमी घर वापस चली गेला ! ई खबर जखन सुनलो हम आर बेसी बिमार पैर गेलो !

डॉक्टरक आदेश ....
डॉक्टरक आदेश सेहो भेट गेल छल जे इनका बिमारी का ईलाज हमारे हॉस्पिटल में नहीं हो सकता ! क्योकि हमारे समझ मे यह नहीं आता की इनको बिमारी कौन स हैं ! इसको किसी तांत्रिक जी के पास ले जाए वही इनका कुछ उपचार कर सकेगे ! अन्यथा इनका जान जा सकता हैं ! ई बात हम कान से सुनी सुनी के आर बेसी बिमार भs गेलो जे हमर परिवार, हमर खानदान, हमर समाजक लोक हमरा लेs केs कते कते दर दर भटकत !

गाम से भगतक आगमन .....
गामक लोक के जखन हमर बिमारीक कुन्नु चारा आस नै भेतलैन त तखने हमर बाबु भगत काका के कहलखिन जे दिल्ली मे हमर बौआ बहुत बिमार अछि से अहाँ ओतय चलू ! अहाँ भैरब बाबाक फूल आ बिभुत बौआ के देबैय तहि से हमर बौआ ठिक भs जायत ! भगत काका दिल्ली एलैथ हमरा फूल बिभुत देलैथ तखने से हमर सभ बिमारी धीरे धीरे दूर हुवे लागल ...

अहि दुवारे कहल गेल अछि जे ...
नै वैध डॉक्टरक, भेल भगता के काज !
शहरी रोगी के, भेल गामक इलाज !!
जय मैथिली, जय मिथिला,

लेखक -:

मदन कुमार ठाकुर,
कोठिया पट्टीटोल,
झंझारपुर (मधुबनी)
बिहार - ८४७४०४,
मोबाईल +919312460150 ,
ईमेल - madanjagdamba@rediffmail.com

मंगलवार, 9 मार्च 2010

ग़लती - मदन कुमार ठाकुर

ग़लती भेल आय हमरा से ,
तकर कुनो जबाब नही आय
जकर दुःख -दर्द हम बुझैत छि ,
लोक लाज से भीने मरैय छी
दूर देश के आय पराई त छी
क्याकी .............
ग़लती भेल आय हमरा से ....

छोटका न्नाह बचा संन छेलो ,
गुली डांटा मे समय बीटेलो
बाबू काका डटायत रहीगेल ,
मूर्खख संग मूर्खे भोगेल
मान मे अयल से हम केलो ,
अपन उमर के मोज उरेलो
क्याकी .......
ग़लती भेल आय हमरा से ......

पढ़ाई लेल जे कियो किछ बाजे ,
अपने ही सर पर थापर मारी
मूर्खे अच्छी ई सबटा दुनिया ,
सोचि -सोच्ची हम नही हिया हरी
बाबा -दादा के संपति नही कम ,
उही देख के उमर बितैत अच्छी
क्याकी ..........
ग़लती भेल आय हमरा से ......

टी वी भिसियार देखते देखते ,
गम घर मे घूमते घूमते
नेता सब के भाषण सुन-सुन ,
ग्न्नू झा के कहानि सुनी -सुनी
अपन कपार हम अपने पिटैय छि
क्याकी .........
ग़लती भेल आय हमरा से ........

माय -बाबू के बात नही मानलो ,
सर समाजाक मान नही रखलो
चॉक -चोरहा मे हसी उरबी ,
बारका भैया की सब केलायत
छोट्कि भोजी नहियर ग़मेलायत ,
ई बात सब हम सोचिते राहलो
अपन कपार मे आगी लगेलो
क्याकी............
ग़लती भेल आय हमरा से ........

पढ़ल लिखल छैथ लूटन बाबू ,
की अपन ओ नाम बानेलैथ
ओही से निक अक्वाली भैया ,
महीस चरबैत कोठा बनबेलैथ
फुलबा के अच्छी फुशिक खेती
मुसाए बाबा के फाटल धोती
देखलो गामक ई सब रीत ,
गबैत रहलो इहा हम गीत
क्याकी .............
ग़लती भेल आय हमरा से.........

अपन जीवन के हम की कहू ,
खापैर- बारहैंन से नयन जुरेलो
फIशी चढ़लो हम मरी जायब ,
ज़हरो ख़ाके स्वरगो से एलो
हारल थाकल मिथिला लैब मे बैस्लो ,
ओ -पी जी कहलायत ई की केलों
मिथिला के आहा नाक कटेलो
क्याकी .............
ग़लती भेल आय हमरा से..........

जय मैथिली, जय मिथिला



~: लेखक :~


मदन कुमार ठाकुर
कोठिया , पट्टीटोल ,
भैरव स्थान , झंझारपुर
(मधुबनी)बिहार - ८४७४०४
मो -9312460150

प्रिय मिथिला बंधूगन यदि अपनों अपन कुनू रचना इ ब्लॉग पर राखे चाही तs अपन रचना हमरा इ-मेल करू या ब्लॉग मं सदस्यता ग्रहण के कs ख़ुद अपन रचना काय प्रकाशित करू ..........

~: धन्यवाद :~

शुक्रवार, 5 मार्च 2010

मिथिला दर्शन केर मार्च-अप्रील अंक बजार मे

मिथिला दर्शनक नव अंक बजार मे उपलब्ध अछि। एहि अंकक सामग्री पर एक दृष्टिः
1. मानवमुखी विज्ञान(संपादकीय)
2. आखर लेख(एकल नागरिकताक परिप्रेक्ष्य मे भूमिपुत्रवाद पर कार्यकारी संपादकक टिप्पणी)
3. हमरो चाही अप्पन राज्य(मिथिला राज्यक मांग पर जीवकांत,धनाकर ठाकुर,आशीष झा आ विभूति आनंदजी केर टिप्पणी)
4. वैश्विक मंदी,मूल्य वृद्धि आ हम सब-नरेंद्र झा
5. ब्रह्मांड-विमर्श(महाप्रयोगक संदर्भ मे): योगेंद्र पाठक वियोगी
6. जीन परिवर्द्धित भांटा कतेक उपयोगी-विद्यानाथ झा
7. नेपालक डायरी-रामभरोस कापड़ि भ्रमर
8. एकटा बड्ड पुरान गप्प-लिली रे केर उपन्यासक अगिला अंश
9. हमर धरोहर(डॉ. लक्ष्मण झाक 1956 केर व्याख्यान)
10. पैंतालीस मिनट(कथा)-नीता झा
11. जुट्टीवाली देवी(कथा)-ऋषि वशिष्ठ
12. खसैत देवाल(कथा)-कुमार मनोज कश्यप
13. निबंध-कथाःमिथिलेश कुमार झा
14. विवेकानंद ठाकुर, कुमार मनीष अरविन्द,रामपुनीत ठाकुर तरुण, उदय नाथ झा अशोक आ डॉ. ब्रज किशोर वर्मा केर कविता
15. भाषा-टीकाक बहन्ने(विभूति आनंदक पोथी केर समीक्षा)- परमानन्द प्रभाकर
16. बाल-अपराधःकारण आ निराकरण-पन्ना झा
17. रूप-चर्चा
18. भनसा-भातः वीणा झा
19. आधुनिक जीवनक उपसर्गःरीढक दर्द-डॉ. अरविन्द कुमार चौधरी
20. ठंढ आ सर्दी-डॉ. उमाशंकर चौधरी
21. गोनू झा बनाम बंगटा
22. वर्ग पहेली-3
23. नेपाल मे आधुनिक मैथिली नाटकःमोजर देबाक प्रतीक्षा मे-रामभरोस कापड़ि भ्रमर
24. प्रबोध साहित्य सम्मान आ मिथिला सं जुड़ल आन गतिविधि सभ पर संक्षिप्त रिपोर्ट

पत्रिका प्राप्ति सूचनाः09709716464 आ 09811406106


प्रस्तुतकर्ता द्वारा संचालित भाषा,शिक्षा आ रोज़गार विषयक ब्लॉग: www.maithilionline.blogspot.com

मंगलवार, 2 मार्च 2010

आयकर नियम ---



आम आदमी कें नव बजट में आयकर में राहत देल गेल अछि।

आउ,देखैत छी जे कोन तरहें एहि राहत सं हम-अहां प्रभावित हएबः

New IT Slabs / Rates for Individuals
पुरनका दर:

IT Slabs / Rates for Individuals (2009-10):

Up to Rs 1,60,000 ------------------>

No tax / exempt 1,60,001 to 3,00,000---------------> 10%

3,00,001 to 5,00,00----------------> 20%

Above 5,00,000---------------------> 30%

160000 तक केर आय पर --------------> कोनो टैक्स नहि
1,60,001 सं 3,00,000 ---------------> 10%
3,00,001 सं 5,00,00 ----------------> 20%

5,00,000 सं बेसी ---------------------> 30%
नव रेट (2010-11)

New IT Slabs / Rates for Individuals (2010-11):

Up to Rs 1,60,000 ------------------>

No tax / exempt 1,60,001 to 5,00,000---------------> 10%

5,00,001 to 8,00,00----------------> 20%

Above 8,00,000---------------------> 30%

नव रेट (2010-11)
1,60,000 तक --------------> कोनो टैक्स नहि
1,60,001 सं 5,00,000 तक--------------> 10 %
5,00,001 सं 8,00,000 तक--------------> 20 %
8,00,001 सं बेसी --------------> 30 %

मार्च,2010 केर पाबनि-तिहार

1 मार्चः सप्तडोरक बंधन। होली
2 मार्चः चित्रगुप्त पूजन। होली भाई दूज टीका
3 मार्चः गणेश चतुर्थी व्रत
4 मार्चः ईद-ए-मौलाद
5 मार्चः रंगपंचमी
7 मार्चः भानुसप्तमी पर्व(सूर्यग्रहणतुल्य),कालाष्टमी व्रत,अष्टका श्राद्ध
11 मार्चः पापमोचिनी एकादशी व्रत
13 मार्चः शनि प्रदोष व्रत(पुत्र प्राप्ति हेतु)
14 मार्चः खरमास शुरू। मासिक शिवरात्रि व्रत। मीन संक्रांति रात्रि 1030 बजे। पुण्यकाल सायं 4.06 सं सूर्यास्त तक
15 मार्चः स्नान-दान-श्राद्ध केर सोमवती अमावस्या। हरिद्वार मे द्वितीय शाही स्नान। चैत्र संक्रांति प्रारंभ
16 मार्चः चैत्र नवरात्र प्रारंभ। नवपंचांग फल-श्रवण। कलश स्थापना। आरोग्य व्रत। तिलक व्रत। विद्या व्रत । नवसंवत्सरोत्सव
17 मार्चः श्रीरेमन्त पूजन
18 मार्चः गणगौरी तीज व्रतोत्सव। गौरी तृतीया। सौभाग्यसुंदरी व्रत। मनोरथ तृतीया व्रत। सरहुल
19 मार्चः विनायक चतुर्थी व्रत
20 मार्चः नागपंचमी। लक्ष्मीपूजा। अनंतनाग पंचमी। चैती छठि केर खरना
21 मार्चः स्कंद षष्ठी व्रत। चैती छठि केर संझुका अर्घ्य। विल्वाभिमंत्रण षष्ठी। गज पूजा
22 मार्चः वासंतिक दुर्गापूजा प्रारंभ। महासप्तमी व्रत। कालरात्रि सप्तमी।चैती छठि केर प्रातः अर्घ्य
23 मार्चः श्रीदुर्गामहाष्टमी व्रत। हरिद्वार मे मनसा देवी मेला
24 मार्चः श्रीरामनवमी व्रत। अयोध्या परिक्रमा। श्रीदुर्गा महानवमी
25 मार्चः चैत्र विजयादशमी
26 मार्चः कामदा एकादशी व्रत
27 मार्चः शनि प्रदोष व्रत(पुत्र प्राप्ति हेतु)।अनंग त्रयोदशी
28 मार्चः मदनभंजिका चतुर्दशी
29 मार्चः चतुर्दशी। पूर्णिमा व्रत। सत्यनारायण पूजा-कथा
30 मार्चः श्रीहनुमान जयंती। स्नान-दान केर चैत्र पूर्णिमा। मथुरा मे श्रीद्वारकाधीश कें छप्पन भोग। वैशाख स्नान-नियम प्रारंभ
प्रस्तुतकर्ताक ब्लॉगः रूचिकर सूचनाक मंच